मिथिलांचल टुडे मैथिलि पत्रिका

मिथिलांचल टुडे मैथिलि पत्रिका पहिल अंक लअके बहुत जल्दिय आबी रहल अछि,अपनेक सबहक समक्ष , किछू हमहूँ कहब आ किछु अहूँ के सुनब,देखू -- http://www.mithilanchaltoday.in/ , E- mail - mithilanchaltoday@gmail.com

रविवार, 16 दिसंबर 2012

अगिलगीमे 3 दोकान सुड्डाह, लाखोक क्षति


    अगिलगीमे 3 दोकान सुड्डाह, लाखोक क्षति

नगर थाना क्षेत्रक उमा सिनेमा हाल लग तीन गोट दोकान शुक्रक राति आगि लगबासँ सुड्डाह भऽ गेल। ओतहि अगिलगीसँ उठल धुआँसँ पाँच गोटे बोहोश भऽ गेला। एहि घटनामे सात लाखक क्षतिक अनुमान लगाओल जा रहल अछि। घटना राति 11 बजे केर अछि। स्थानीय लोकक अनुसार जाकिर अंसारी कम्पलेक्स लग इण्डिया मोबाइल गैलरी नामक दोकानसँ आगि पसरल जे यूनिक इलेक्ट्रोनिक आ इरशाद बुक डिपो धरि पसरि गेल। काम्पलेक्समे धुआँ भरि जेबाक कारणेँ एकर पहिल महलपर रहऽ वला पाँच गोट छात्रक दम फूलऽ लागल आ ओ लोकनि बेहोश भऽ गेला। सभकेँ इलाज लेल डीएमसीएचमे भर्ती कराओल गेल।
इण्डिया मोबाइल गैलरीक दोकानादार हामिद मुजेफ्फर 2.5 लााख, यूनिक इलेक्ट्रोनिक केर मो. खैयाम 3.5 लाख आ इरशाद बुक डिपोक  मो. इरशाद 70 हजार टाकाक नोकसानक बात कहै छथि। ओमहर श्री हामिद रंगदारी नञि देबाक कारणेँ आगि लगा देबाक आरोप भगवान दास महल्ला निवासी राजेश मण्डलपर लगौलनि अछि। ओ एहि सन्दर्भमे नगर थानामे एक गोट आवेदन सेहो देलनि अछि। आगि एतेक जोरगर छल जे दोसर महलपर रहऽ वला लोक सभकेँ सेहो भागि कऽ जान बचबऽ पड़लनि। सूचनापर पहुँचल अग्निशमन वाहन आगिपर काबू पौलक।  

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें