मिथिलांचल टुडे मैथिलि पत्रिका

मिथिलांचल टुडे मैथिलि पत्रिका पहिल अंक लअके बहुत जल्दिय आबी रहल अछि,अपनेक सबहक समक्ष , किछू हमहूँ कहब आ किछु अहूँ के सुनब,देखू -- http://www.mithilanchaltoday.in/ , E- mail - mithilanchaltoday@gmail.com

गुरुवार, 5 मार्च 2015

मशखरी


ल रिमोट के हाथ में देखू
आब बैन गेलहुं ओपरेटर
हमरे अछि भिसियार टीबी
 हमरे अछि जनरेटर
ल रिमोट के हाथ में देखू
 !! आब बैन गेलहुं ओपरेटर

हमरे हाथ में दुनियां अछि
सब हमर हाथक कठपुतली
जिम्हर घुमेबई ओम्हरे घुम्तई
अछि हमरा हाथ में शुतली
ओतबे चलतै, जतेक दबेबई
पैर तरक एक्सलेटर
ल रिमोट के हाथ में देखू
!! आब बैन गेलहुं ओपरेटर

कुकुर सन अध्मौगैत सब दिन
मुदा आई बनल छि ढीठ
अन्हरा कुकुर माड़े तिरपित
चटैत पुलौसी खीरक मीठ
गैढ़ ​​पढैया की आदर दैया
सब मिल कहै भप्लेटर
ल रिमोट के हाथ में देखू
 !! आब बैन गेलहुं ओपरेटर

मोन भेटल अछि भरना पर
नै अपना पर अछि काबू
हमरा सन नै काबिल कियो
नै हमरा लग कियो बाबु
चढल गुमान मुहं छुटल लगाम
लिखैछी मोन के लवलेटर
ल रिमोट के हाथ में देखू
 !! आब बैन गेलहुं ओपरेटर