मिथिलांचल टुडे मैथिलि पत्रिका

मिथिलांचल टुडे मैथिलि पत्रिका पहिल अंक लअके बहुत जल्दिय आबी रहल अछि,अपनेक सबहक समक्ष , किछू हमहूँ कहब आ किछु अहूँ के सुनब,देखू -- http://www.mithilanchaltoday.in/ , E- mail - mithilanchaltoday@gmail.com

गुरुवार, 5 मार्च 2015

मशखरी


ल रिमोट के हाथ में देखू
आब बैन गेलहुं ओपरेटर
हमरे अछि भिसियार टीबी
 हमरे अछि जनरेटर
ल रिमोट के हाथ में देखू
 !! आब बैन गेलहुं ओपरेटर

हमरे हाथ में दुनियां अछि
सब हमर हाथक कठपुतली
जिम्हर घुमेबई ओम्हरे घुम्तई
अछि हमरा हाथ में शुतली
ओतबे चलतै, जतेक दबेबई
पैर तरक एक्सलेटर
ल रिमोट के हाथ में देखू
!! आब बैन गेलहुं ओपरेटर

कुकुर सन अध्मौगैत सब दिन
मुदा आई बनल छि ढीठ
अन्हरा कुकुर माड़े तिरपित
चटैत पुलौसी खीरक मीठ
गैढ़ ​​पढैया की आदर दैया
सब मिल कहै भप्लेटर
ल रिमोट के हाथ में देखू
 !! आब बैन गेलहुं ओपरेटर

मोन भेटल अछि भरना पर
नै अपना पर अछि काबू
हमरा सन नै काबिल कियो
नै हमरा लग कियो बाबु
चढल गुमान मुहं छुटल लगाम
लिखैछी मोन के लवलेटर
ल रिमोट के हाथ में देखू
 !! आब बैन गेलहुं ओपरेटर 
प्रेम रस


अछि प्यास्ल मोन त पिबैत चैल जाऊ ...... ..2
गुण प्रीतम के बाटे गबैत चैल जाऊ !! 2
मोनक बेगरता अछि, प्यासल अछि कंठ

घुट- घुट नै जिबू ऐना बनू नै चंठ ...... ..2
अछि ललसा जे मोनक कहैत चैल जाऊ !! 2
गुण प्रीतम के बाटे गबैत चैल जाऊ !! 3

मन्ल्हूँ जे पिने हायब बहुतो जंहा के
प्यासल अछि मोन जे तैयो आन्हा के ...... .2
अछि प्रेमक ई धारा बहैत चैल जाऊ !! 2
गुण प्रीतम के बाटे गबैत चैल जाऊ !! 3

ससरल ने कंठ स एहन कुन पिबैत छि
पिबते उतैर गेल, तेहन की पिबैत छि ...... ..2
लिय चस्का ई प्रेम के डूबैत चैल जाऊ !! 2
गुण प्रीतम के बाटे गबैत चैल जाऊ !!

अछि प्यास्ल मोन त पिबैत चैल जाऊ ...... ..2
गुण प्रीतम के बाटे गबैत चैल जाऊ !! 5  

(नविन ठाकुर)